Wednesday, 26 April 2017

अहाँ की छी

आम नहि अहाँ आँठी छी
लकड़ी नहि अहाँ काठी छी
काँट नहि अहाँ काँटी छी
अढ़िया नहि अहाँ बाटी छी
डंटा नहि अहाँ लाठी छी
कारी नहि खोरनाठी छी
बोड़ा नहि अहाँ झोड़ा छी
अहाँ  गाम- छोड़ा छी !!


पान नहि अहाँ पत्ता छी
छड़ी नहि अहाँ छत्ता छी
सैलरी नहि अहाँ भत्ता छी
तास- पत्ती सत्ता छी
चोखा नहि अहाँ चटनी छी
अलुआ नहि अहाँ सुथनी छी
बैगन नहि बरबट्टी छी
बच्चे  हरहटठी छी !!


डोरी नहि अहाँ जौर छी
माँछ- खाली झोर छी
पातर नहि अहाँ सुट्टा छी
बरद- घरक खुट्टा छी
बोतल नहि अहाँ ढक्कन छी
फाटल दूध- मक्खन छी
गप्पी नहि गप्पकर छी
बड़का अहाँ घनचक्कर छी !!


बांस नहि अहाँ कोपर छी
आटा नहि अहाँ चोकर छी
ढाकी नहि अहाँ पैला छी
सुराही नहि अहाँ घैला छी
दही नहि अहाँ जोरन छी
अदवे दायलक फोरन छी
सकरौरी नहि अहाँ घेबर छी
बरका अहाँ हेहर छी !!


कोट नहि अहाँ बण्डी छी
लोकल ट्रेन- झंडी छी
बाड़ी नहि अहाँ झारी छी
बिना टायर- गाडी छी
आलू नहि अहाँ ओल छी
पेट- पूरा गोल छी
रब्बर नहि अहाँ लब्बर छी
अहि- चौक- गब्बर छी !!


स्याही नहि अहाँ भट्ठा छी
कांपी नहि अहाँ गत्ता छी
गिलास नहि अहाँ लोटा छी
सिक्का पूरा खोटा छी
गाछ नहि अहाँ लत्ती छी
करची नहि अहाँ बत्ती छी
पचीसी नहि अहाँ चौपड़ छी
गाम- बड़का लोफर छी !!


सूप नहि अहाँ पथिया छी
खटिया नहि अहाँ पटिया छी
सिलौट नहि अहाँ लोढ़ी छी
काम- बड़का कोढ़ी छी
ढोल नहि अहाँ ढोलक छी
हीरो सौंसे टोलक छी
रिक्सा नहि अहाँ ठेला छी
आदमी बड़ा अलबेला छी!!


जे पहिले छलहुँ से अखनो छी
मुदा अहीं सबहक अपने छी !!

2 comments: